नेविसंघ नगर कमिटिक अध्य्क्ष सुमन कुमार ठाकुर के नेतृत्व में स्थानीय सरकार के सांकेतिक विरोध स्वरूप जनकपुरधामक शिव चौक पर सड़क पर धान रोपल गेल ।
नेविसंघ के युवा सब आई मेयर लालकिशोर साह के बिरोधकरैत सड़क पर धान रोपिक सांकेतिक विरोध कयल गेल नेविसंघ जिल्ला अध्यक्ष सुजीत मिश्र जानकारीदेने छैथ ।
नगर भीतर समश्या सभक पहिचान आ तत्काल समश्या समाधानक वास्ते ई सांकेतिक बिरोध रहल नगर अध्यक्ष सुमन ठाकुर के तर्क अछि ।
ठाकुर के कहब मानी त मेयर लालकिशोर अनावश्यक काज में व्यस्त रहल मुदा नगर भीतर के मुख्य समश्या सड़क आ नाला के रहल हुनका नै दिखाई द रहल आरोप लगबैत नगर अध्यक्ष ठाकुर बैकल्पिक सड़क के तत्काल ब्यवस्था कर लेल नगर में ओ मेयर के ध्यानाकर्षण करने छलाह ।
शिव चौके में भेल धान रोपणी कार्यक्रम में नगर अध्यक्ष सुमन ठाकुर सहित जिल्ला अध्यक्ष सुजीत मिश्र के विशेष उपस्थिति साथमे रवि शर्मा, माया कुमारी, सलीम सफी, परवेज आलम, राजीव मंडल, सोहैल राईन , राजेश साह लगायतक युवा सभक उपस्थिति रहल छल ।